Posts

Showing posts from February, 2019

kaniya kaki | कनिया काकी | Maithili Short Film | निर्देशक: कुणाल -Mithila Darshan Media

Mithila Darshan YouTube channel presents a fresh maithili short film titled 'kaniya kaki'(कनिया काकी ). Please watch the heart-rending story written by Kumar Pawan and directed by Kunal. Show your support by Watching, Liking, Sharing and Subscribing...Thanks! Visit Our website http://mithiladarshan.com/ https://www.youtube.com/watch?v=PEvgHkI6fjc

गंगासागर धन्य

गंगासागर धन्य माघ मे स्नानार्थी सब डूबकी देत ; मकर-संक्राँतिक पुण्य पर्व मे उत्तरायण सूर्यक सुधि लेत। नया वर्ष केर भेल पदार्पण अछिशिशिरक अवसानक काल; आबि रहल रितुपतिक सवारी नील नभक प्रत्यासित भाल। सृष्टि सँ स्निग्ध जुडल प्राणी केर तन-मन होएत स्वत: स्फूर्त; व्यष्टि-व्यष्टि होइए समष्टि सँ तुलित-सम्पुटित पाबि मुहूर्त। भारतीय मानसक उड़ान मे सागर लहरि भरि जाइछ छन्द; लौकिक-सांस्कृतिक प्रभाष तैं युग-युग से चलि रहल अमन्द। शब्द सुभग संक्रान्ति सुहावन लबइत अछि परिवर्तनक हिलोर; मुग्ध माँगलिक विभा पसारति छूबि भू-गगनक ओर आ छोर। जाडठाढ भएनहुँ समग्र अछि नहिं लघु वीचि-विचुम्बन मन्द ; सुनि पदध्वनि अबइत आदित्यक उष्मा भरइत अछि आनन्द । शारदा नन्द दास परिमल                    Visit Our website http://mithiladarshan.com/